Sunday 20 November 2016

UPSC मे सफलताक कुंजी भेल मैथिली- (2015 Mains Highlight)


जहिया स मैथिली संघ लोकसेवा आयोग मे शामिल भेल अछि, सब साल अपन रिकार्ड कए अपनेहि तोडि रहल अछि। एहि साल संघ लोकसेवा आयोग क आयल परिणाम मे मैथिली भाषा ल कए उत्तीर्ण अभ्यार्थीक संख्या नहि केवल पिछला साल स बेसी अछि, बल्कि पहिल बेर सूची मे महिलाक नाम सेहो देखा रहल अछि। संघ लोकसेवा आयोग मे एहि साल मैथिली भाषा लेनिहार कुल 18 गोटे पास भेलथि अछि, जाहि मे दू गोटे मिथिला क्षेत्र स नहि छथि। लिखित परीक्षा मे मैथिली अभ्यर्थी क सफलताक प्रतिशत 25 स ऊपर रहल जखनकि साक्षात्कर मे मैथिली अभ्यर्थी क सफलताक प्रतिशत करीब करीब 85 क आसपास रहल अछि, जे एक बेर फेर अन्य भाषाक मुकााबले मैथिली कए सफलताक कुंजी साबित केलक अछि। बिरेंद्र झा क पुत्री रजनी झा मैथिली विषय स संघ लोकसेवा आयोग क परीक्षा पास केनिहारि पहिल महिला अभ्यार्थी भ गेलथि अछि। रजनी कए 591वां स्थान भेटल अछि। 706वां अंक अननिहार सतपाल राजस्थानक रहनिहर छथि, जखन कि महेंद्र राम क पुत्र अमित अनंद उत्तर प्रदेश क रहनिहार छथि। अमित कए 763वां स्थान भेटल अछि। एहिना शंभु यादव क पुत्र आदित्य आनंद कए 863, उपेंद्र यदव क पुत्र संतोष कुमर कए 692, रिसब कुमार कए 162, अंजनी कए 164, रोशन कए 352, सोनम कुमार कए 625, कुमार गौरव कए 831, प्रवीण प्रकाश कए 846, कुमार सत्यम कए 858, मनीष चौधरी कए 908, ब्रिजभूषण पांडेय कए 925, विवेक कए 619, प्रवीण कए 628 आ
अरविंद कए 1050 वां रेंक भेटल अछि।

Wednesday 2 November 2016

BPSC Syllabus

(बिहार लोक सेवा आयोग, पटना )
मैथिली भाषा और साहित्य
Syllabus-
पेपर -१
१. मैथिली भाषाक इतिहास -
- मैथिली भाषाक उदगम
- यूरोपीय भाषा परिवार में मैथिलीक स्थान
- मैथिली भाषाक ऐतिहासिक विकासक्रम
- हिंदी, बंगला, भोजपुरी, मगही , एवं संथाली भाषाक संग मैथिलीक सम्बन्ध
- मैथिलीक विभिन्न बोली
- मानक मैथिली भाषाक विशेषता
२. मैथिली साहित्यक इतिहास -
-मैथिलीक साहित्यक क!ल विभाजन तथा कालक प्राकृतिक विशेषता
- आधुनिक मैथिलीक कविताक इतिहास
- आधुनिक मैथिलीक उपन्यासक इतिहास
- आधुनिक मैथिलीक नाटकक विकास
- मैथिली- निबंध एवं आलोचनाक विकास
पेपर २
१. विद्यापति गीतावली - मैथिली अकादमी , पटना ( पद संख्या १-५० धरि)
२. गोविन्ददास भजनावली मैथिली अकादमी , पटना ( पद संख्या १-५० धरि)
३. कृष्ण जन्म-मनबोध
४. मिथिला भाषा रामायण (सुन्दरकाण्ड मात्र)
५. चित्रा-यात्री
६. सूर्यमुखी - आरसी प्रसाद सिंह
७. मिथिला नाटक- मुंशी रागुनंदन दास
८. कन्यादान ओ दुरागमन - प्रो. हरिमोहन झा
९. प्रबंध संग्रह - प्रो. रमानाथ झा
१०. ललका पाग- राजकमल
Contact us for all Books, Study Materials, Questions Bank, Test series and much more.
"Maithili For IAS"
Email- maithiliforias@gmail.com
http://maithiliforias.blogspot.in/