Sunday 20 November 2016

UPSC मे सफलताक कुंजी भेल मैथिली- (2015 Mains Highlight)


जहिया स मैथिली संघ लोकसेवा आयोग मे शामिल भेल अछि, सब साल अपन रिकार्ड कए अपनेहि तोडि रहल अछि। एहि साल संघ लोकसेवा आयोग क आयल परिणाम मे मैथिली भाषा ल कए उत्तीर्ण अभ्यार्थीक संख्या नहि केवल पिछला साल स बेसी अछि, बल्कि पहिल बेर सूची मे महिलाक नाम सेहो देखा रहल अछि। संघ लोकसेवा आयोग मे एहि साल मैथिली भाषा लेनिहार कुल 18 गोटे पास भेलथि अछि, जाहि मे दू गोटे मिथिला क्षेत्र स नहि छथि। लिखित परीक्षा मे मैथिली अभ्यर्थी क सफलताक प्रतिशत 25 स ऊपर रहल जखनकि साक्षात्कर मे मैथिली अभ्यर्थी क सफलताक प्रतिशत करीब करीब 85 क आसपास रहल अछि, जे एक बेर फेर अन्य भाषाक मुकााबले मैथिली कए सफलताक कुंजी साबित केलक अछि। बिरेंद्र झा क पुत्री रजनी झा मैथिली विषय स संघ लोकसेवा आयोग क परीक्षा पास केनिहारि पहिल महिला अभ्यार्थी भ गेलथि अछि। रजनी कए 591वां स्थान भेटल अछि। 706वां अंक अननिहार सतपाल राजस्थानक रहनिहर छथि, जखन कि महेंद्र राम क पुत्र अमित अनंद उत्तर प्रदेश क रहनिहार छथि। अमित कए 763वां स्थान भेटल अछि। एहिना शंभु यादव क पुत्र आदित्य आनंद कए 863, उपेंद्र यदव क पुत्र संतोष कुमर कए 692, रिसब कुमार कए 162, अंजनी कए 164, रोशन कए 352, सोनम कुमार कए 625, कुमार गौरव कए 831, प्रवीण प्रकाश कए 846, कुमार सत्यम कए 858, मनीष चौधरी कए 908, ब्रिजभूषण पांडेय कए 925, विवेक कए 619, प्रवीण कए 628 आ
अरविंद कए 1050 वां रेंक भेटल अछि।

Wednesday 2 November 2016

BPSC Syllabus

(बिहार लोक सेवा आयोग, पटना )
मैथिली भाषा और साहित्य
Syllabus-
पेपर -१
१. मैथिली भाषाक इतिहास -
- मैथिली भाषाक उदगम
- यूरोपीय भाषा परिवार में मैथिलीक स्थान
- मैथिली भाषाक ऐतिहासिक विकासक्रम
- हिंदी, बंगला, भोजपुरी, मगही , एवं संथाली भाषाक संग मैथिलीक सम्बन्ध
- मैथिलीक विभिन्न बोली
- मानक मैथिली भाषाक विशेषता
२. मैथिली साहित्यक इतिहास -
-मैथिलीक साहित्यक क!ल विभाजन तथा कालक प्राकृतिक विशेषता
- आधुनिक मैथिलीक कविताक इतिहास
- आधुनिक मैथिलीक उपन्यासक इतिहास
- आधुनिक मैथिलीक नाटकक विकास
- मैथिली- निबंध एवं आलोचनाक विकास
पेपर २
१. विद्यापति गीतावली - मैथिली अकादमी , पटना ( पद संख्या १-५० धरि)
२. गोविन्ददास भजनावली मैथिली अकादमी , पटना ( पद संख्या १-५० धरि)
३. कृष्ण जन्म-मनबोध
४. मिथिला भाषा रामायण (सुन्दरकाण्ड मात्र)
५. चित्रा-यात्री
६. सूर्यमुखी - आरसी प्रसाद सिंह
७. मिथिला नाटक- मुंशी रागुनंदन दास
८. कन्यादान ओ दुरागमन - प्रो. हरिमोहन झा
९. प्रबंध संग्रह - प्रो. रमानाथ झा
१०. ललका पाग- राजकमल
Contact us for all Books, Study Materials, Questions Bank, Test series and much more.
"Maithili For IAS"
Email- maithiliforias@gmail.com
http://maithiliforias.blogspot.in/

Thursday 20 October 2016

मैथिली विषयक लेल मुख्य किताब -


मैथिली विषयक  लेल मुख्य किताब -
१. मैथिली गद्य गौरव
२. खट्टर ककाक तरंग -हरिमोहन झा
३. चित्रा-यात्री 
४. लोरिक विजय - मणिपद्म
5. गोविन्ददास भजनावली -प्रकाशक -मैथिली अकादमी पटना
६. भफाइत चाहक जिनगी -सुधांशु शेखर चौधरी
७. दत्तवती -सुरेंद्र झा सुमन
८. कृति राजकमल -प्रकाशक मैथिली अकादमी ,पटना
९. विद्यापति गीतशती-प्रकाशक साहित्य अकादमी , नई दिल्ली
१०. कथा संग्रह -प्रकाशक -मैथिली अकादमी पटना
११. पृथ्वी पुत्र -ललित
१२. रामेश्वर चरित मिथिला रामायण -लालदास
१३. वर्ण- रत्नाकर - ज्योतिरीश्वर
१४. मिथिला भाषा रामायण - चंदा झा
१५. समकालीन मैथिली कविता प्रकाशक , साहित्य अकादमी दिल्ली
१६. कृष्ण -जन्म -मनबोध
१७. कीचक-वध -तंत्रनाथ झा
१८. मैथिली पत्रकारिता -संपादक- शरदिंदु चौधरी
१९. मैथिली परिशीलन ( अतिरिक्त किताब )
उपर्युक्त प्रत्येक किताब "मैथिली फॉर आईएएस" संस्था में उपलभ्द अछि !
साथ में क्लास नोट्स, प्रश्न पत्र , टेस्ट सीरीज सेहो उपलभ्द अछि !
जिनका किनको चाही ओ सीधे कांटेक्ट कय सकैत छथि
मैथिलि फॉर आईएएस (मैथिली For IAS )
Cont No- 9818494617/ 7827256048
Email- maithiliforias@gmail.com
Website- http://maithiliforias.blogspot.in/

Thursday 15 September 2016

BPSC ६० वीं , ६१ वीं तथा ६२ वीं सम्मिलित परीक्षा के नोटिफिकेशन

BPSC अपन ६० वीं , ६१ वीं तथा ६२ वीं सम्मिलित परीक्षा के नोटिफिकेशन निकाललक हाँ !
optional पेपर मात्रा एकटा राखल जायत ! मैथिली सेहो optional विषय में से अछि !
विभिन्न पद के कुल 642 टा सीट अछि , जकर फॉर्म ऑनलाइन भरल जायत !
ऑनलाइन रजिस्ट्रेशन 27 /09 /2016 सँ शुरू होयत !
जे विद्यार्थी, BPSC में optional विषय मैथिली रखने छथि , ओ Complete Study Materials, Books, Test Series कय लेल संपर्क कय सकैत छथि !
Email- maithiliforias@gmail.com

Monday 12 September 2016

मिथिला दर्शन- Part 1-

१.गौरी-शंकर स्थान- मधुबनी जिलाक जमथरि गाम आ हैंठी बाली गामक बीच ई स्थान गौरी आ शङ्करक सम्मिलित मूर्त्ति आ एहि पर मिथिलाक्षरमे लिखल पालवंशीय अभिलेखक कारणसँ विशेष रूपसँ उल्लेखनीय अछि। ई स्थल एकमात्र पुरातन स्थल अछि जे पूर्ण रूपसँ गामक उत्साही कार्यकर्त्ता लोकनिक सहयोगसँ पूर्ण रूपसँ विकसित अछि। शिवरात्रिमे एहि स्थलक चुहचुही देखबा योग्य रहैत अछि। बिदेश्वरस्थानसँ २-३ किलोमीटर उत्तर दिशामे ई स्थान अछि।
२.भीठ-भगवानपुर अभिलेख- राजा नान्यदेवक पुत्र मल्लदेवसँ संबंधित अभिलेख एतए अछि। मधुबनी जिलाक मधेपुर थानामे ई स्थल अछि।
३.हुलासपट्टी- मधुबनी जिलाक फुलपरास थानाक जागेश्वर स्थान लग हुलासपट्टी गाम अछि। कारी पाथरक विष्णु भगवानक मूर्त्ति एतए अछि।
४.पिपराही-लौकहा थानाक पिपराही गाममे विष्णुक मूर्त्तिक चारू हाथ भग्न भए गेल अछि।
५.मधुबन- पिपराहीसँ १० किलोमीटर उत्तर नेपालक मधुबन गाममे चतुर्भुज विष्णुक मूर्त्ति अछि।

Monday 22 August 2016

मैथिली विषय के तैयारी - (Mains 2016 Special )-

मैथिली विषय के तैयारी - (Mains 2016  Special )-
१. लेखनशैली  के विकास - विद्यार्थी जे मैथिली विषय के तैयारी कय रहल छथि, हुनका चाही जे अपन लेखन शैली के सुदृढ़ करि तथा परिपक़्वता के साथ शाब्दिक अर्थ के स्पष्ट करय के प्रयत्न करैथ !

२. लेखनी गति - लेखनी गति अति आवश्यक अछि !  प्रायः ९०% विद्यार्थी के परीक्षा में प्रश्न छुटि जायत अछि , कारण गति बरक़रार नहि राखी पावैत छथिन !

३. भावार्थ शपष्टता - भावार्थ शपष्टता अत्यंत जरुरी अछि ! बिना भावार्थ शपष्टता के साहित्य जल बिन जीवन जेका भ जायत अछि ! अतः आहा की भाव प्रकट करय चाहैत छी , ओहि में शपष्टता हेबाक चाही !

४. निरंतरता - मैथिली साहित्य के तैयारी में निरंतरता चाही !

५. टेस्ट सीरीज - टेस्ट सीरीज से अपन मूल्यांकन निरंतर करी !

www.maithiliforias.blogspot.com
You may Email us-
maithiliforias@gmail.com

Monday 8 August 2016

Maithili Optional Study पैकेज-

सिविल सर्विसेज के प्रारंभिक परीक्षा ७ अगस्त के संपन्न भ गेल तथा मुख्य परीक्षा के तैयारी विद्यार्थी लोकनि शुरू कय देला.!
"मैथिली फॉर आईएएस " (Maithili For IAS), DIstance Education द्वारा मैथिली विषय के स्टडी मैटेरियल्स संग किताब , टेस्ट सीरीज , question बैंक तथा मार्गदर्शन उपलब्ध करा रहल अछि !
पैकेज अहि प्रकार के अछि -
19 किताब 
800 पेज के क्लास नोट्स
5 वर्ष के प्रश्न पत्र-उत्तर
तिमाही टेस्ट सीरीज
मैंथिली-हिंदी बुकलेट
questions - Answer वाया ईमेल
पैकेज दाम अछि - 5499 /
संपर्क कय सकैत छी -
ईमेल id -
maithiliforias@gmail.com